देखलौ हम आहे गौरी नईहर तोर

देख लो हम आहे गौरी2
नईहर तोर. गौरी नईहर तोर.

1 भात देलैन अखरा दैलक झोर2
तिमन चखैत गौरी2
लहरइये ठोर. गौरी नईहर तोर.

2 बथुआ के साग में निमक बड़ी जोर2.
दूध नहीं दही देलक2.
माहुर के घोर. गौरी नईहर तोर.

3 नै थारी देलक बाटी देलक लोटा देलक टीन2.
पनिया पिवैत गौरी2.
होइए छीना छीन. गौरी नईहर तोर.

4 नईहर के बात पर किए छी मुहजोर. हे गौरी2
तिशी के तेल में2
तरल तिलकोर. गौरी नैईहर तोर.

5 गौरी कहइए बाबा अब कल जोर2.
उकटू सदाशिव जुनी2
नईहर मोर. बाबा नईहर मोर।।।।
श्रेणी
download bhajan lyrics (109 downloads)