हम छी आहाँ के बालक

हम छी आहाँ के बालक। अज्ञान ज्ञान नै ये,
दुनियां में हमर मैया2 कोनो ठिकान नै ये,

पूजा आहाँ के कैलौ  पाठो आहाँ के कैलौ,
आहाँ नाम के है मैया  दिन रैत जाप कैलौ,
ऐ दुखिया पर हे मैया कनियो धियान नै ये,
हम छी आहाँ के बालक......

हम छि अधम है मैया  एकबेर हमरा ताकू,
आहाँ के चरण पड़ल छि  अपना सरन में राखु,
हम्मर ब्यथा हे मैया कियो नै सुनै ये,
हम छि आहाँ के बालक...

प्यासा ये दुख में डूबल  नैनन में अश्रु धारा,
आहाँ बिना हे मैया  नै छै कियो सहारा,
जीवन के भार सौपी  आहाँ के भजन गाबे ये
हम छी आहाँ के बालक....

हेमकान्त झा प्यासा
Hemkant jha प्यासा
9831228059

download bhajan lyrics (509 downloads)