मिथिला के बोल अनमोल यौ

मिथिला के बोल अनमोल यौ
हमरा बर निक लगइए
स्वागत में पान मखान यौ
हमरा बर निक लगइए

मंडन अयाची के नाम प्रसिद्ध छैन
विद्यापति जी के गाम यौ
हमरा बर निक लगइए

राम सिया के सुंदर जोड़ी
सृष्टि में सब स महान यौ
हमरा बर निक लगइए

सामा चकेबा भरदुतिया जितिया
चौंरचन पावेन महान यो
हमरा बर निक लगइए.

रहुला बिहुला छैठ चतुर्थी
माघी पूर्णिमा नहान यौ
हमरा बर निक लगइए

गंगा जीवछ बागमति संग
कोसी कमला बलान यौ
हमरा बर निक लगईये

कर्मी के साग तिलकोर क तरुवा
दही चुरा चीनी संगे आम यौ
हमरा बर निक लगइए.

कुंजबिहारी माधव रामबाबू
मैथिली गायक महान यौ
हमरा बर निक लगइए

ई सुंदर सन रचना क के
प्यासा करइए बखान यौ
हमरा बर निक लगइए

Hemkant jha pyasa
9831228059

श्रेणी