हे माँ स्वेत वस्त्र धारणी

हे माँ स्वेत वस्त्र धारणी वीणा मधुर बजाबी
हम दुःख मे कानी भवानी सुनियौ हमर कहानी

अहाॅ जग में ज्ञान दैय छी अज्ञानता हरैय छी
अही के जगत ई पुरा नित वंदना करैय छी
हम हाथ जोङने माता नित प्रर्थना करैय छी
हम दुःख...

केहन कठोर भेलौ नैय ज्ञान कनियो देलौ
लोभी भरल ई दुनिया संसार मे माँ भेजलौ
कष्ट से उवारू मैया हमहु बेकल परल छी
हम दुःख....

गुण वान छै ई दुनिया अज्ञान माँ बनेलौ
मुकेश पर अहाॅ मैया नै ज्ञान कनियो देलौ
खोलू नयन हे मैया हम याचना करैय छी
हम दुःख....

MUKESH PANDIT

download bhajan lyrics (431 downloads)